चीनी मिल सं जुड़ल उद्योग – जना एथेनॉल, बिजली (बायो-एनर्जी), कागज आदि उद्योग विकसित भ’ सकैत अछि। एहि सं क्षेत्रीय औद्योगीकरण बढ़त।मिल चालू भेला सं होटल, दोकान, ट्रांसपोर्ट, मशीनरी, किराना, किरायाक मकान आदि व्यवसाय तेजी सं बढ़त।रोजगार उपलब्ध भेला सं युवा लोकनि कें दिल्ली, पंजाब, गुजरात जयबाक जरूरत कम पड़त। एहि सं परिवारिक आ सामाजिक स्थिरता बढ़त।नीतीश सरकार महिला हेल्पलाइन, महिला थाना आ बालिका शिक्षा योजनाक माध्यम सं सामाजिक सुरक्षा वातावरण सुदृढ़ कयल गेल।नीतीश सरकार थाना स्तर पर संसाधन, वाहन, संचार साधन आ तकनीकी उपकरण उपलब्ध करौलक। विशेष टास्क फोर्स (STF) सक्रिय कयल गेल।नीतीश राज मे माफिया, बाहुबली आ कुख्यात अपराधी सभ पर विशेष कार्रवाई कयल गेल। कतेको प्रभावशाली व्यक्तिक गिरफ्तारी आ सजा उदाहरण बनल।

नीतीश राज मे फास्ट ट्रैक कोर्टक विस्तार भेल। जाहि सं
संगठित अपराध, अपहरण आ रंगदारी सन गंभीर अपराध मे शीघ्र सुनवाई सुनिश्चित कयल गेल, जाहि सं सजा दर मे वृद्धि भेल।
